हमर मिशन आ दृष्टिकोण
मिथिलाक आत्मा के पीढ़ी दर पीढ़ी संजोबाक संकल्प
हमर अभियान
मिथिलाक लोक सभ केँ एक मंच पर ल’ क’ शिक्षित, सशक्त आ एकजुट करब।हम चाहैत छी:
- मैथिली भाषा के पुनर्जीवित करब
- त्योहार, परंपरा, लोकगाथा के संरक्षित करब
- लोककला, मधुबनी चित्रकला, संगीत आ साहित्य केँ वैश्विक मंच देब
- प्रवासी मैथिल केँ अपन जड़ि सँ जोड़ब
- द्विभाषीय सामग्री, सीखबाक साधन आ संवाद मंच प्रदान करब
- समावेशी दृष्टिकोण: जाति, वर्ग, लिंग सँ ऊपर उठि क’ मिथिलाक आवाज बनाब’
संस्कृति के संग्रहालय में नहि — जीवन में जियब, साझा करब आ अगिला पीढ़ी केँ देब।

हमर मूल मान्यता
हम मानैत छी जे प्रत्येक मैथिल केँ अपन भाषा, संस्कृति आ पहचान सँ जुड़ल रहबाक अधिकार अछि, चाहे ओ कतहु रहैत होथि।
हमर उद्देश्य केवल इतिहास के संग्रह करब नहि — बल्कि वर्तमान के जागरूक बनाब’ आ भविष्य के सशक्त बनाब’ छी।
हमर दृष्टिकोण
हम सपना देखैत छी एहन मिथिला के:
- 🌍 जतय हर मैथिल बच्चा अपन भाषा जानै
- 📖 जतय हमर गीत-कथा दस्तावेजीकृत होइ
- 🎨 जतय कलाकार केँ सम्मान आ अवसर भेटै
- 🧑🤝🧑 जतय समुदाय एक दोसर केँ समर्थन करै
- 🏠 जतय प्रवासी मैथिल अपन संस्कृति पर गर्व करै
- 🎥 जतय डिजिटल मीडिया सँ संस्कृति साझा होइ
हम मिथिलाकेँ जीवंत, आधुनिक आ वैश्विक बनाब’ चाहैत छी।


३ वर्षक योजना (२०२५–२०२७)
वर्ष १: आधार निर्माण
- ब्लॉग, भाषा मंच, पर्व लेख प्रारंभ
- १००+ संस्था सँ जुड़ाव
- सोशल मीडिया जागरूकता
वर्ष २: विस्तार
- निर्देशिका निर्माण
- बाल-किशोर भाषा सत्र
- ऑनलाइन कार्यक्रम
वर्ष ३: धरोहर
- मौखिक इतिहास संग्रह
- मोबाइल ऐप
- सांस्कृतिक साझेदारी
🙏 भाग लिअ
लेखक, कलाकार, छात्र, सामाजिक कार्यकर्ता जे कोनो होथि। मिथिलाऑनलाइन अहाँक छी.
📩 संपर्क: vision@mithilaonline.com
🤝 संगहि मिलिकय मिथिलाक सुनहरा भविष्य बनाबी।